काठमाण्डू, ५ कातिक : आइसिसी पुरुष क्रिकेट विश्वकप छनौट प्लेअफ प्रतियोगिता नेपालमे आयोजन हएत । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) अगिला डिसेम्बर ४ सँ २१ तारिखधैर प्रतियोगिता नेपालमे आयोजन होबाक जानकारी देलक अइछ ।
प्रतियोगितामे आइसिसी विश्वकप लिग–२ के अन्तिम चाइर टोली तथा आइसिसी क्रिकेट विश्वकप च्यालेन्ज लिग ‘ए’ आ ‘बी’ के शीर्ष दू–दू टोलीसहित आठटा टोली सहभागी हएत ।
प्रतियोगिताके शीर्ष चाइर स्थान हासिल करैबला टोली सन् २०२७ मे आयोजन हुअबला एकदिवसीय विश्वकप छनौट प्रतियोगिताके लेल छनौट हएत । नेपाल समक्ष लगातार दोसर बेर एकदिवसीय विश्वकप छनौटमे स्थान बनेबाक अवसर अइछ ।
अइ बीच, प्रतियोगिता नेपालमे आयोजन भेलाक बाद नेपाल आ भारत ‘ए’ बीचक क्रिकेट शृङ्खला पूर्वनिर्धारित तालिकामे नै हएत ।
भारतीय क्रिकेट नियन्त्रण बोर्ड (बिसिसीआई) आ क्यान बीचक आपसी समवंय तथा सहमतिमे नेपाल आ भारत ‘ए’ बीचक नयाँ खेल तालिका तय करबाक क्यानके सचिव पारस खड्का जानकारी देलैन ।















