काठमाण्डू, १ कातिक : वेष्ट इण्डिजके चर्चित क्रिकेट खेलाड़ी आन्द्रे रसेल नेपाल प्रिमियर लिग (एनपिएल) के तेसर संस्करण विराटनगर किङ्समे अनुबन्ध भेल छैथ ।


विराटनगर रसेलकेँ टोलीमे अनुबन्ध कएने सामाजिक सञ्जालमार्फत आइ जानकारी करौलक अइछ । “समर्थक अहाँके माँग केलक । हमसभ पूरा केलौँ । विराटनगर किङ्समे स्वागत अइछ”, विराटनगरके टोली अपन सामाजिक सञ्जालमे लिखने अइछ ।


सन् १९८८ अप्रिल २९ मे जमैकामे जन्मल रसेल वेष्ट इण्डिजके लेल एकटा टेष्ट, ५६ एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय आ ८६ टी–२० अन्तर्राष्ट्रिय खेल खेलने छैथ । एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रियमे एक हजार ३४ रन बनेबाक सङे रसेल ७० विकेट लेने छैथ ।


टी–२० अन्तर्राष्ट्रियमे ओ एक हजार एक सओ २२ रन बनेबाक सङे ६१ विकेट लेने छैथ । अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट सङे रसेल विश्वके विभिन्न व्यावसायिक फ्रेन्चाइज लिगमे सेहो प्रभावशाली प्रदर्शन कएने छैथ ।


इण्डियन प्रिमियर लिग (आइपिएल)मे ओ दिल्ली डेयरडेभिल्स आ कोलकाता नाइट राइडर्ससँ खेलने छैथ । आइपिएलमे हुनका नामपर दू हजार ६ सओ ५१ रन आ एक सओ २३ विकेट अइछ । सन् २०१४ आ २०२४ मे कोलकातासँ ओ आइपिएलके उपाधि हासिल कएने छलैन ।


क्यारेबियन प्रिमियर लिग (सिपिएल), पाकिस्तान सुपर लिग (पिएसएल), बङ्गलादेश प्रिमियर लिग (बिपिएल), बिग बास लिग (बिबिएल), इन्टरनेसनल लिग टी–२० आ मेजर लिग क्रिकेटलगायत प्रतियोगिता सेहो रसेल खेल चुकल छैथ ।


रसेल सन् २०१२ आ २०१६ मे टी–२० विश्वकप जितैबला वेष्ट इन्डिज टोलीके सदस्य सेहो छलैन । (रासस)