कोलकाता, १ कातिक : भारतके पूर्वी राज्य पश्चिम बङ्गालके राजधानी कोलकातामे दुर्गा पूजाके क्रममे भगदड़ भेलासँ कम्तीमे १९ गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ २५ गोटे घायल भेल अइछ । अधिकारीसभक कहब अनुसार शैनदिन राइत वर्षा भेलाक बाद मण्डप लग जमा भेल लोकसभ ओत लागै लेल दौड़लाक बाद भगदड़ भेल छल ।


प्रहरीके कहब अनुसार किछ भक्तजन सड़कपर खसलाक बाद भीड़ अनियन्त्रित भेल छल । घटनामे घायल भेल व्यक्तिसभक कोलकाता मेडिकल कलेज तथा अस्पतालमे इलाज भ रहल अइछ । अस्पताल पहुँचल मुख्यमन्त्री सुभेन्दु अधिकारी १९ गोटेके मृत्यु भेल आ २५ गोटेके इलाज भ रहल जानकारी देलैन । राज्यके उच्च अदालतक न्यायाधीशके नेतृत्वमे विशेष अनुसन्धान टोली गठन क घटनाके छानबिन करबाक ओ बतौलैन ।


घटनाबारे अनुसन्धान सुरु करैत किछ दुर्गा पूजा मण्डपके आयोजक, निजी सुरक्षाकर्मी तथा ड्युटीमे खटल कर्मचारीकेँ प्रहरी हिरासतमे लेलक अइछ । घटनामे भीड़ व्यवस्थापन आ सुरक्षामे कमजोरी भेल अइछ की नै तइबारे अनुसन्धान भ रहल अधिकारीसभ बतौलैन अइछ ।


दुर्गा पूजा पाबैनके लेल कोलकाताभैर स्थानीय रूपमे ‘पण्डाल’मे तीन हजार पाँच सओ गोटे क्षमताके मण्डप निर्माण कएल गेल अइछ । घटनाके बाद अधिकारीसभ कोलकाताके बेसी भीड़भाड़ हुअबला स्थानपर अस्थायी रूपमे बन्द करबाक लेल आयोजकसभकेँ सुझाव देलैन ।


भारतमे पैघ धार्मिक पाबैनके क्रममे भीड़ अनियन्त्रित भेलासँ भगदड़के घटना बेर–बेर होइत आएल अइछ । 

सन् २०२५ जनवरीमे महाकुम्भ पाबैनके क्रममे पवित्र नदीमे स्नान करबाक लेल हजारो हिन्दू तीर्थयात्री एकसाथ आगु बढ़लापर कम्तीमे ३० गोटेके मृत्यु भेल छल । तहिना, सन् २०१३ मे मध्य प्रदेश राज्यके एकटा मन्दिरमे धार्मिक पाबैनके क्रममे पुल खसबाक डरसँ तीर्थयात्रीसभ अगुतेलाक बाद भेल भगदड़मे कम्तीमे एक सओ १५ गोटेके मृत्यु भेल छल, तँ किछके नदीमे डुबलासँ मृत्यु भेल छल ।(रासस/एपी)