काठमाण्डू, १ कातिक : सिन्धुलीके फिक्कल गाउँपालिका–६ स्थित नागथानमे काठमाण्डूसँ खोटाङदिस जा रहल ‘टाटा सुमो’ अनियन्त्रित भ आइ भोर सुनकोशी नदीमे खैस क दुर्घटना भेलासँ सुमोके चालकसहित तीन गोटेके घटनास्थलपर मृत्यु भेल अइछ । उक्त सवारी साधानमे १० गोटे यात्रु रहल बताओल गेल अइछ । 


तीन गोटे बेपत्ता आ चाइर गोटेके उद्धार क इलाजक लेल स्थानीय स्वास्थ्य संस्था घुर्मीदिस पठाएल गेल अइछ । उक्त स्थानपर सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल विपद व्यवस्थापन बेस खुर्कोटसँ नौ गोटे गोताखोरसहित १० गोटे, अस्थायी मनसुन बेस हर्कपुर ओखलढुङ्गासँ १० गोटे आ नेपाल प्रहरीके संयुक्त टोली खटल अइछ ।(रासस)