काठमाण्डू, २९ आसिन : नवरात्रके पाँचम दिन आइ नौ दुर्गा मध्येके पाँचम स्कन्दमाताके विधिपूर्वक पूजापाठ कएल जा रहल अइछ ।

 

प्रत्येक साल आश्विन शुक्ल पञ्चमी अर्थात् दुर्गा पक्षके पाँचम दिन स्कन्दमाताके विधिपूर्वक पूजापाठ कएल जाइत अइछ । पौराणिक ग्रन्थमे स्कन्दमाताके विषयमे कथा वर्णन कएल गेल अइछ । 


नवरात्रके नौ दिन घटस्थापना कएल गेल स्थानपर दुर्गा सप्तशती (चण्डी), श्रीमद्देवीभागवतलगायत देवी स्तोत्र पाठ कएल जाइत अइछ । नवरात्रके अवसरमे देवीके आराधना क पूजा कएलापर शक्ति, ऐश्वर्य आ विद्या प्राप्त होबाक धार्मिक विश्वास अइछ ।

        

दुर्गा पक्षके पहिल दिन शैलपुत्री, दोसर दिन ब्रह्मचारिणी, तेसर दिन चन्द्रघण्टा, चारिम दिन कुष्माण्डा, पाँचम दिन स्कन्दमाता, छठम दिन कात्यायनी, सातम दिन कालरात्रि, आठम दिन महागौरी आ नवम दिन सिद्धिदात्रीके पूजा आराधना कएल जाइत अइछ । 

 

नवरात्रमे देशभैरके शक्तिपीठमे पूजापाठ एवं दर्शन करैबला भक्तजनके भीड़ लागैत अइछ । नवरात्रके अवसरमे राजधानी आ राजधानी बाहरके विभिन्न शक्तिपीठमे सेहो भोरेसँ भक्तजनके भीड़ लागल अइछ । (रासस)