काठमाण्डू, २८ आसिनः नेपाल संयुक्त राष्ट्रसंघीय मानव अधिकार परिषदक सन् २०२७–२०२९ कार्यकेलक लेल सदस्य निर्वाचित भेल अइछ ।
न्युयोर्कस्थित संयुक्त राष्ट्रसंघक मुख्यालयमे मंगलदिन भेल निर्वाचनमे नेपाल संयुक्त राष्ट्रसंघक महासभामे खसल १८० मतमे १७३ मत प्राप्त करैत एसिया–प्रशान्त क्षेत्रीय समूहसँ निर्वाचित देशसभमे सर्वाधिक मत प्राप्त कएने छल ।
न्युयोर्कस्थित संयुक्त राष्ट्रसंघके लेल नेपालक स्थायी नियोग निर्वाचनक बाद वक्तव्य जारी करैत नेपालपर विश्वास तथा समर्थन देनिहार संयुक्त राष्ट्रसंघकसभ सदस्य राष्ट्रप्रति आभार व्यक्त कएने अइछ ।
‘बहुपक्षीयता, मानव अधिकार, अन्तर्राष्ट्रीय कानून तथा संयुक्त राष्ट्रसंघकेँ केन्द्रमे रखनिहार नियम आधारित अन्तर्राष्ट्रीय प्रणालीप्रति नेपालक प्रतिबद्धतामे विश्वास तथा भरोसा व्यक्त करबाक लेल हमसभ संयुक्त राष्ट्रसंघकसभ सदस्य राष्ट्रप्रति हार्दिक आभार व्यक्त करैत छी’, नियोगक विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ ।
नियोग परिषदक नवका कार्यकालक लेल निर्वाचित अन्य राष्ट्रसभकेँ सेहो बधाइ देने अइछ । नेपाल सन् २०२७–२०२९ कार्यकेलक लेल निर्वाचित ब्राजिल, बुरुन्डी, डोमिनिकन गणतन्त्र, जर्मनी, घाना, आयरल्यान्ड, जापान, जोर्डन, कुवेत, माल्दोभा, नाइजेरिया, युक्रेन, उरुग्वे तथा जाम्बियाकेँ बधाइ देने अइछ ।
नेपाल अइसँ पहिने सन् २०१८–२०२० तथा २०२१–२०२३मे लगातार दू कार्यकेल परिषदक सदस्य भ चुकल अइछ । नवका निर्वाचनक सङ नेपाल सन् २०२७ जनवरी १ गतेसँ तेसर कार्यकेलक लेल परिषदक सदस्यक रूपमे काज करत ।
सन् २००६मे स्थापित संयुक्त राष्ट्रसंघीय मानव अधिकार परिषद मानव अधिकारक संरक्षण तथा प्रवर्द्धनक लेल काज केनिहार संयुक्त राष्ट्रसंघक प्रमुख अन्तरसरकारी निकाय अइछ ।
स्वीट्जरल्यान्डक जेनेभामे मुख्यालय रहल परिषदमे भौगोलिक प्रतिनिधित्वक आधारपर ४७टा सदस्य राष्ट्र रहबाक व्यवस्था अइछ । सदस्य राष्ट्रसभ संयुक्त राष्ट्रसंघक महासभासँ तीन वर्षक लेल निर्वाचित होइत छै ।
परिषद सदस्य राष्ट्रमे मानव अधिकारक अवस्थाक समीक्षा, मानव अधिकार उल्लङ्घनसम्बन्धी विषयपर बातचित, आवश्यक सिफारिस तथा मानव अधिकारक संरक्षण एवम् प्रवर्द्धनक लेल अन्तर्राष्ट्रीय सहकार्यकेँ प्रोत्साहित करैत आएल अइछ ।
उक्त संस्थासँ विश्वव्यापी आवधिक समीक्षा प्रक्रियामार्फतसभ सदस्य राष्ट्रक मानव अधिकारक अवस्थाक मूल्याङ्कन सेहो कएल जाइत अइछ ।
सदस्यताक सङे मानव अधिकारसम्बन्धी अन्तर्राष्ट्रीय प्रतिबद्धताक कार्यान्वयन, मौलिक स्वतन्त्रताक संरक्षण तथा मानव अधिकारक विश्वव्यापी मान्यताप्रति नेपालक प्रतिबद्धताकेँ व्यवहारमे उतारबाक जिमेवारी सेहो रहत ।(रासस)















