काठमाण्डू, २९ आसिन : संसदीय सुनुवाइ समिति १० गोटे प्रस्थावित राजदूतके नाम सर्वसम्मत अनुमोदन केलक अइछ ।
समितिसँ भारतक लेल डा.निश्चलनाथ पाण्डे, चीनके लेल डा. कल्याणराज शर्मा, अमेरिकाके लेल चिरनजङ्ग थापा, बेलायतक लेल गौरव शम्शेर जबरा, जर्मनीके लेल सरू जोशी, इजरायलके लेल सुरेश कुमार कर्ण, ओमानक लेल पदमाक्षी राणा, कोरियाके लेल डा. सङ्गम श्रेष्ठ, स्पेनके लेल प्राप्ति शेरचन आ श्रीलङ्काके लेल मञ्चला कुमारी झाके नाम अनुमोदन कएल गेल अइछ ।
साउदी अरबके लेल प्रस्तावित राजदूत गिरी बहादुर सुनार आ मलेसियाके लेल प्रस्तावित चूडामणि खरेलके नाम समितिसँ अस्वीकृत कएल गेल समितिक सभापति बोध नारायण श्रेष्ठ जानकारी देलैन ।
तहिना, जापानक लेल प्रस्तावित राजदूत जिज्ञान कुमार थापाके नाम समिति होल्ड केलक अइछ । सभापति श्रेष्ठके कहब अनुसार थापाके हकमे परराष्ट्र मन्त्रालयसँ थप प्रमाण तथा स्थानीय तहसँ संलग्नताबारे स्पष्टता माँग कएल गेल अइछ । (रासस)















