काठमाण्डू, २६ आसिन : स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छतामन्त्री निशा मेहतासँ नेपालक लेल गणतन्त्र कोरियाके नवनियुक्त राजदूत पार्क ताइ योङ शिष्टाचार भेट केलैन अइछ । भेटक क्रममे दू देश बीचक घनिष्ठ सम्बन्ध आ आपसी सहकार्यकेँ थप सुदृढ़ बनेबाक विषयमे परामर्श भेल मन्त्री मेहताके सचिवालय जनौलक अइछ । 


भोटेकोशी बाइढ़सँ प्रभावित क्षेत्रके उद्धार तथा राहतमे कोरिया सरकार कएने सहयोगप्रति मन्त्री मेहता धन्यवाद व्यक्त केलैन । कोरियामे रहल नेपाली नागरिकके स्वास्थ्य इलाज, मेडिकल टुरिजम, स्वास्थ्य बीमा, डिजिटल हेल्थ, सङ्क्रमित नै हुअबला रोगके व्यवस्थापन, रेडियसन थेरापी सेवा तथा अस्पतालके सुदृढ़ीकरणलगायत नेपालक स्वास्थ्य क्षेत्रक प्राथमिकतामे सहकार्य विस्तार करबाक विषयमे परामर्श भेल सचिवालय जनौलक अइछ । 


राजदूत योङ नेपाल सरकारक प्राथमिकताके क्षेत्रमे सहयोग करबाक लेल गणतन्त्र कोरिया सदैव तत्पर रहल बतौलैन । (रासस)

–––