उदयपुर, २६ आसिन : उदयपुरमे प्रहरी एके दिन दू स्थानसँ एक हजार ४० किलो ४ सओ ४० ग्राम लागुऔषध गाँजा बरामद केलक अइछ ।
स्थानीय कटारी नगरपालिका आ चौदण्डीगढी नगरपालिका क्षेत्रसँ गाँजा ओसारपसारमे संलग्न रहल अभियोगमे एक युवकसहित गाँजाके लेल प्रयोग कएल गेल बोलेरो नियन्त्रणमे लेने जिला प्रहरी कार्यालयके उपरीक्षक राजन चापागाईँ जानकारी देलैन ।
इलाका प्रहरी कार्यालय कटारी आ बेल्टारसँ खटल प्रहरी टोली कटारी नगरपालिका–६ स्थित साँगुरी पुल लगके जङ्गल आ चौदण्डीगढी नगरपालिका–१ चारघरेसँ गाँजा बरामद केलक अइछे ।
प्रहरी उपरीक्षक चापागाईँके कहब अनुसार बितल राइत सेहो कटारी नगरपालिका–६ स्थित साँगुरी पुलन लगके जङ्गलसँ पाँचटा बोरामे राखल गेल एक सओ किलो गाँजा बरामद कएल गेल छल ।
तिनतलेसँ सिरहादिस उक्त गाँजा ल जाइतकाल ताप्ली गाउँपालिका–२ के २२ वर्षीय विश्वराज राईकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल छल ।
तहिना, चौदण्डीगढी नगरपालिका–१, चारघरेस्थित रानीटार–बेल्टार सड़कखण्डमे आइ भोर पार्किङ क राखल बा १४ च २२५५ नम्बरके बोलेरोसँ २९ टा बोरामे राखल ९ सओ ४० किलो ४ सओ ४० ग्राम गाँजा बरामद भेल अइछ । गिरफ्तार कएल गेल राईकेँ इलाका प्रहरी कार्यालय कटारीके हिरासतमे राइख क थप अनुसन्धान भ रहल अइछ । उक्त घटनामे संलग्न अन्य फरार व्यक्तिके खोजतलास भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।(रासस)
–––














