ललितपुर, २६ आसिन : नेपाली कांग्रेसक खुलादिसके उपसभापतिमे डा.चन्द्रकान्त भण्डारी आ मधु आचार्य निर्वाचित भेल छैथ । तहिना, समावेशी उपसभापतिमे विनोद कुमार चौधरी निर्वाचित भेल छैथ ।
उपसभापतिके खुला प्रतिस्पर्धामे डा. भण्डारी तीन हजार ७ सओ ३५ मत आ आचार्य दू हजार ३ सओ ४२ मत प्राप्त केलैन । उपसभापतिके उम्मेदवारमध्ये गोविन्द भट्टराई एक हजार ७ सओ ५२, सुरेन्द्रराज पाण्डे एक हजार ६ सओ ७३, धनराज गुरुङ एक हजार ५ सओ ९६, दीपक गिरी ९ सओ २३ आ प्रा डा चन्द्रमोहन यादव ७ सओ ६० मत प्राप्त केलैन ।
समावेशी उपसभापतिमे निर्वाचित चौधरी एक हजार ७ सओ ४५ मत प्राप्त केलैन । हुनक प्रतिस्पर्धी जीवन परियार एक हजार ६ सओ ५८, फरमुल्लाह मन्सुर एक हजार एक सओ ४४, सीता गुरुङ एक हजार एक सओ १२ आ रञ्जित कर्ण ५ सओ ६२ मत प्राप्त केलैन ।
तहिना, महामन्त्रीमे प्रदीप पौडेल आ उदयशम्शेर राणा निर्वाचित भेल छैथ । पौडेल चाइर हजार एक सओ ९४ मत प्राप्त केलैन अइछ । तहिना, राणा दू हजार ३ सओ ३० मत प्राप्त केलैन । महामन्त्रीके उम्मेदवारमध्ये डा सुनिल कुमार शर्मा दू हजार २ सओ ५७, गुरुराज घिमिरे एक हजार ५ सओ १३, नैनसिंह महर एक हजार एक सओ ३४, अमरसिंह पुन मगर एक हजार एक सओ २५, शङ्कर तिवारी एक सओ २३ आ डा सन्तोष उपाध्याय ९७ मत प्राप्त केलैन अइछ ।
महामन्त्री महिलादिस डा डिला सङ्ग्रौला (पन्त) निर्वाचित भेल छैथ । सङ्ग्रौला तीन हजार एक सओ १८ मत प्राप्त केलैन अइछ, तँ महालक्ष्मी उपाध्याय (डिना) दू हजार ८ सओ ६४ आ रीता खनाल ८ सओ ४ मत प्राप्त कएने निर्वाचन समितिके सदस्यसचिव राजु कटुवाल जानकारी देलैन ।(रासस)
–––













