काठमाण्डू, २५ आसिन : रसुवाके भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़के बाद प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोष आ प्रधानमन्त्री राहत कोषमे आर्थिक सहयोग जुटबाक क्रम जारी अइछ । प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालय अनुसार कोषक विभिन्न खातामे आइधैर मौज्दात रकम १७ अरब ५४ करोड़ ४२ लाख ८९ हजार ६ सओ ७८ टका अइछ ।


 प्रधानमन्त्री दैवी प्रकोप उद्धार कोषक विभिन्न नौटा वाणिज्य बैंकमे मैज्दात १२ अरब ९५करोड़ १६ लाख ३१ हजार २ सओ १ आ हिमालयन बैंंक आ लक्ष्मी सनराइज बैंकमे रहल डलर खातामे दू करोड़ ९७ लाख २९ हजार ९ सओ ७२ अमेरिकी डलर पहुँचल अइछ । सरकार उक्त कोषमे जमा भेल रकमसँ अइसँ पहिने एक अरब बाइढ़ प्रभावित क्षेत्रक लेल निकासा क चुकल अइछ ।(रासस) 

–––