ललितपुर, २४ आसिनः नेपाली कांग्रेसक नवनिर्वाचित सभापति गगन कुमार थापा नागरिकक विश्वास फेरसँ स्थापित करैत पार्टीकेँ रूपान्तरण करबाक बतौलैन ।
पार्टीक १५म महाधिवेशनसँ सभापतिमे निर्वाचित भेलाक बाद आइ पार्टी कार्यालय सानेपामे कार्यकर्ता तथा समर्थककेँ सम्बोधन करैत प्राप्त जिमेवारीकेँ अधिकार नै, बल्कि जवाफदेहीक रूपमे लेने बतौलैन ।
महाधिवेशनसँ नवका नेतृत्व चयन भेलासँ मात्र पार्टीमे परिवर्तन नै होएत, काज करबाक शैली, जिमेवारी तथा जवाफदेहितामे परिवर्तन आवश्यक रहल ओ बतौलैन । महाधिवेशनमे प्रतिस्पर्धा स्वाभाविक लोकतान्त्रिक अभ्यास रहल उल्लेख करैत सभापतिमे प्रतिस्पर्धा केनिहार श्यामकृष्ण खड्गी सहित सबकेँ सङ ल क आगाँ बढ़बाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।
थापा नागरिक तथा कांग्रेसबीचक विश्वास कमजोर भेल उल्लेख करैत किसान, उद्योगी, व्यवसायी तथा वैदेशिक रोजगारमे रहल नेपालीसभ भरोसा करैथ एहन पार्टी बनेबाक लेल जोड़ देलैन । महाधिवेशनसँ पारित प्रतिवेदन अध्ययन क सुझाव देबाक लेल एक सप्ताहक समय देल गेल जानकारी दैत ओ बभक सुझावक आधारपर पहिल केन्द्रीय कार्यसमितिक बैसारसँ कार्ययोजना बनेबाक बतौलैन ।रासस
---













