काठमाण्डू, २४ आसिनः भोटेकोशी बाइढ़मे एक हजार ४५७ व्यक्तिके  जान गेल  छै । प्रहरी प्रधान कार्यालयक अनुसार ई आइ भोर ६ः०० बजे तक प्राप्त भेल विवरण छियै।   


 बाइढ़मे गम्भीर घायल भेल दू व्यक्तिके काठमाण्डूमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल जानकारी दैत उक्त कार्यालय रसुवामे २३६, नुवाकोटमे २०५, धादिङमे ७३, चितवनमे ३६९, गोरखामे ८०, तनहुँमे ३८, नवलपरासी पूर्वमे २३२ आ नवलपरासी पश्चिममे २२२ व्यक्तिके मृत्यु भेल कहल गेल छै ।  


सङ्कलन भेल शवके पहिचानक लेल डिएनए नमुना सङ्कलनलगायत प्रक्रिया पूरा क अखनधैर एक हजार ३३५ शव  व्यवस्थापन कएल गेल अइछ । एक हजार ४३८ शवके पहिचान नै भ सकल अइछ । बाइढ़के बाद चाइर हजार ७२० गोटे बेपत्ता छैथ । 


तहिना, बाइढ़सँ विस्थापित एक हजार २३१ गोटे विभिन्न जिलास्थित होल्डिङ सेन्टरमे व्यवस्थापन कएल गेल अइछ । (रासस)