‘
काठमाण्डू, २२ आसिनः नेपाल विद्युत् प्राधिकरण बिजुलीक बिल ‘अनलाइन’सँ देनिहार ग्राहककेँ अतिरिक्त सुविधा देबाक निर्णय कएने अइछ । विद्युत् प्राधिकरण सञ्चालक समितिक सदस्य अंशुकिरण शाहीअनुसार ‘डिजिटल’ माध्यमसँ विद्युत् महसूल तिरबाक अभ्यासकेँ प्रोत्साहित करबाक लेल उपभोक्ताकेँ अतिरिक्त सुविधा देबाक निर्णय भेल अइछ ।
विद्युत् प्राधिकरण घरेलु उपभोक्ताक लेल ‘स्मार्ट पे रिवार्ड’ कार्यक्रम अनलक अइछ । अइ अन्तर्गत आब अनलाइनमार्फत विद्युत् महसूल भुगतान कएलापर वर्तमान दू प्रतिशत छुट सुविधाक सङे अतिरिक्त शून्य दशमलव पाँच प्रतिशत स्मार्ट पे रिवार्ड प्राप्त क सकबाक सञ्चालक समिति सदस्य शाही बतौलैन ।
हुनक कहब अनुसार आब डिजिटल भुगतान केनिहार ग्राहककेँ कुल दू दशमलव पाँच प्रतिशत छुट भेटत । पहिल चरणमे छ महिनाक लेल आनल गेल अइ कार्यक्रम डिजिटल भुगतानकेँ आओरो सहज तथा प्रोत्साहनमूलक बनेबाक हुनक कहब अइछ । प्राधिकरण सहज अनलाइन भुगतानसँ समय बचबाक सङे अतिरिक्त सुविधाक लाभ भेटत कहैत विद्युत् महसूल अनलाइनसँ तिरि अतिरिक्त सुविधाक लाभ लेबाक लेल आह्वान कएने अइछ ।
ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइमन्त्री विराजभक्त श्रेष्ठ डिजिटल माध्यमसँ विद्युत् महसूल तिरबाक लेल अपील केलैन अइछ । डिजिटल युगमे सेहो ७३ प्रतिशत नागरिक भौतिक रूपमे ‘काउन्टर’पर जा क महसूल तिरैत छै से कहैत मन्त्री श्रेष्ठ अइ अवस्थाकेँ सब मिइल क परिवर्तन आनबाक चाही, से बतौलैन ।
डिजिटल भुगतानसँ नागरिकक समय तथा आवागमनके खर्च बचत हएत, नगद कारोबार घटलासँ वित्तीय पारदर्शिता तथा सुरक्षा बढ़बाक मन्त्री श्रेष्ठके कहब अइछ । सङे काउन्टर सञ्चालनमे स्रोत तथा जनशक्तिकेँ अन्य आवश्यक ग्राहक सेवामे उपयोग कएल जा सकबाक हुनक विचार छल । रासस
–––













