काठमाण्डू, २२ आसिन : अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषद (आइसिसी) आइ सार्वजनिक कएने आइसिसी एकदिवसीय विश्व वरियतामे नेपाल १६म स्थानपर पहुँचल अइछ । पुरुष एकदिवसीय वरियतामे नेपाल एक स्थान सुधार करैत १६म स्थानपर पहुँचल अइछ । 


नेपाल ३३ खेलमे ९ सओ ३९ अङ्कसहित २८ रेटिङ प्राप्त केलक अइछ । नेपालसँ आगु  अमेरिका १५म स्थानपर अइछ । तहिना, नेपालसँ पाछु नामिबिया १७म स्थानपर अइछ । 


एक दिवसीय विश्व वरियतामे भारत शीर्ष स्थानपर अइछ, तँ न्यूजील्याण्ड दोसर स्थानपर अइछ । तहिना, दक्षिण अफ्रिका तेसर स्थानपर अइछ, तँ अष्ट्रेलिया चारिम तथा पाकिस्तान पाँचम स्थानपर अइछ ।( रासस)