काठमाण्डू, २२ आसिन : राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल समृद्ध नेपाल निर्माण सरकार वा कोनो एकटा क्षेत्रके प्रयाससँ मात्रे सम्भव नै भ राज्य, निजी क्षेत्र आ समग्र समाजक सझिया राष्ट्रिय सङ्कल्पसँ सम्भव होबाक बतौलैन अइछ ।


नेपाल उद्योग वाणिज्य महासङ्घक पदाधिकारीसँ आइ भेल भेटमे ओ समृद्ध नेपाल निर्माणक सङ्कल्पकेँ व्यवहारमे रूपान्तरण करबाक लेल निजी क्षेत्र आओर जिमेवार, सिर्जनशील आ अग्रणी भूमिकामे प्रस्तुत हएत से अपेक्षा व्यक्त केलैन । नेपालक आर्थिक समृद्धिमे निजी क्षेत्र करैत आएल योगदानके ओ प्रशंसा केलैन ।


नेपालक अर्थतन्त्रकेँ गतिशील, उत्पादनमुखी आ प्रतिस्पर्धी बनेबाक लेल सरकार आ निजी क्षेत्र बीचक सहकार्य अपरिहार्य रहल राष्ट्रपति पौडेल बतौलैन । महासङ्घके सङ्गठनात्मक विस्तार आ महासङ्घमे आबद्ध १४ लाखसँ बेसी व्यवसायीके प्रगति समग्र देशक प्रगति भेल उल्लेख करैत ओ आर्थिक विकास, रोजगारी सिर्जना आ नागरिकके जीवनस्तर सुधारमे निजी क्षेत्रके भूमिका महत्वपूर्ण रहल बतौलैन ।


सरकारके नीतिगत स्थिरता, लगानीके सुरक्षा, पूर्वाधार विकास, सहज प्रशासन आ व्यवसायमैत्री वातावरण निर्माण करए पड़त तथा निजी क्षेत्रके लगानी, उत्पादन, उद्यमशीलता, नवप्रवर्तन आ रोजगारी सिर्जनाकेँ थप विस्तार करए पड़त से हुनक कहब छलैन । ई दू पक्ष बीचक विश्वास आ सहकार्यसँ आर्थिक समृद्धिके बलगर आधार निर्माण क सकबाक राष्ट्रपति पौडेल बतौलैन ।


आबके प्राथमिकता उत्पादन वृद्धि, निर्यात प्रवर्द्धन, स्वदेशी तथा विदेशी लगानी आकर्षण, रोजगारी सिर्जना आ नेपाली अर्थतन्त्रके प्रतिस्पर्धात्मक क्षमता अभिवृद्धिमे केन्द्रित होबाक चाही से हुनक कहब छलैन । जलविद्युत, पर्यटन, कृषि तथा कृषिजन्य उद्योग, सूचना प्रविधि आ उत्पादनमूलक क्षेत्रमे उपलब्ध सम्भावनाकेँ परिणाममुखी ढङ्गसँ उपयोग करबाक लेल आवश्यक रहल ओ उल्लेख केलैन ।


विशेष क देशक युवा जनशक्तिकेँ स्वदेशमे अवसर आ उद्यमके सम्भावना सिर्जना करबाक सझिया दायित्व भेल राष्ट्रपति पौडेल बतौलैन । डिजिटल रूपान्तरण आ विश्वव्यापी प्रतिस्पर्धाके वर्तमान युगमे महासङ्घ अपन राष्ट्रिय सञ्जालकेँ अन्तर्राष्ट्रिय आर्थिक सञ्जालसँ जोड़ैत नेपाली उत्पादन, सेवा आ उद्यमकेँ विश्व बजारमे पहुँचेबाक लेल थप नेतृत्वदायी भूमिका निर्वाह करबाक ओ विश्वास व्यक्त केलैन । रासस)