काठमाण्डू, २२ आसिन : नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशनके मतदानक समय परिवर्तन कएल गेल अइछ ।


कांग्रेस केन्द्रीय निर्वाचन समितिके सदस्य सचिव राजु कटुवाल आइ भोर १० बजेके लेल तय कएल गेल मतदानक कार्यक्रम दुपहर १ः०० बजेके लेल तय कएल गेल जानकारी देलैन ।


मतदानक प्रक्रिया पूरा करबाक लेल समय लागबाक कारण मतदानक समय आगु कएल गेल ओ जानकारी देलैन ।


नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशनअन्तर्गत निर्वाचनमे भाग लेबैबला उम्मेदवारक अन्तिम नामावली बुधदिन राइत प्रकाशन कएल गेल छल ।


मतदानक लेल महाधिवेशन प्रतिनिधिके प्रदेश तथा प्रतिनिधित्वके आधारमे अलग–अलग मतदान केन्द्रके व्यवस्था कएल गेल अइछ ।


निर्वाचन समिति सार्वजनिक कएने संशोधित निर्वाचन कार्यतालिकाअनुसार बागमती प्रदेशक प्रतिनिधि राष्ट्रिय सभा गृहमे रहल मतदान केन्द्र ‘क’ सँ मतदान करत । खुलामञ्चकेँ मतदान केन्द्र ‘ख’ निर्धारण कएल गेल अइछ । खुलामञ्चमे रहल कोशी प्रदेश आ तराई–मधेश समूहक प्रतिनिधिके लेल मतदान केन्द्र निर्धारण कएल गेल अइछ ।


तहिना, खुलामञ्चमे रहल गण्डकी प्रदेशक प्रतिनिधि हिमाल हलसँ मतदान करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ । खुलामञ्चमे रहल मधेश प्रदेशक प्रतिनिधिके लेल तराई–मधेश हल निर्धारण कएल गेल अइछ ।


लुम्बिनी प्रदेश, कर्णाली प्रदेश, सुदूरपश्चिम प्रदेश, नेपाली जनसम्पर्क समिति तथा भ्रातृ संस्थादिसक प्रतिनिधि खुलामञ्चमे रहल पहाड़ हलसँ मतदान करत ।


निर्वाचन समिति अनुसार मतदानस्थलपर मोबाइल फोनलगायत निर्वाचन आचारसंहिता निषेध कएल गेल सामग्रीसहित प्रवेशमे रोक लगाएल गेल अइछ । (रासस) 

–––