पणजी (भारत), २२ आसिन : हिन्दी तथा मराठी चलचित्रके चर्चित अभिनेता नाना पाटेकरके आइ भोर हृदयाघातके बाद निधन भेल मणिपाल अस्पतालक चिकित्सक बतौलैन अइछ ।
मणिपाल अस्पतालक अन्कोलोजी विभागक प्रमुख डा. शेखर साल्करके कहब अनुसार आइ भोर अपने निवासमे अस्वस्थ भेलाक बाद पाटेकरकेँ अस्पताल आनल गेल छल । अस्पताल पहुँचौलापर हुनक अवस्था गम्भीर छल । चिकित्सकके टोली करिब ४५ मिनेटसँ एक घण्टाधैर हुनका पुनर्जीवित करबाक प्रयास कएलाक बादो नै बचाइब सकल डा. साल्कर बतौलैन ।
अस्पतालक आपत्कालीन टोली निवासमे पहुँच हुनका सिपिआर देने छल । ओइके बाद भोर करिब ४ः२० बजेसँ ४ः३० बजेके बीच अस्पताल आनल गेल छल ।
पाटेकरके निधनके बाद मेडिको–कानूनी प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल आ शव पोस्टमार्टमके लेल गोवा मेडिकल कलेज पठाएल गेल चिकित्सक बतौलैन ।
पाटेकर सन् १९७८ मे ‘गमन’ चलचित्रसँ अभिनय यात्रा सुरु कएने छलैन । ‘परिन्दा’, ‘प्रहार’, ‘क्रान्तिवीर’, ‘तिरङ्गा’, ‘खामोशी’ आ ‘अब तक छप्पन’ लगायतक चलचित्रमे ओ अभिनय कएने छलैन । बितल समय ओ चलचित्र क्षेत्रमे सक्रिय नै छलैन आ ‘हाउसफुल ५’, विशाल भारद्वाजके ‘ओ’ रोमियो’ तथा ‘सुबेदार’ मे अभिनय कएने छलैन ।रासस/एएनआई















