हेनरी बी. कागन तथा केन्सो सोइकेँ जैविक पदार्थ निर्माणमे होएबला विशेष प्रकारक रासायनिक प्रक्रिया तथा स्वतः उत्प्रेरणासम्बन्धी खोजक लेल सन् २०२६ क रसायनशास्त्र दिसके नोबेल पुरस्कार देल जाएत  ।


रोयल स्विडिस एकेडेमी अफ साइन्सेज बुधदिन स्टकहोममे अइ वर्षक रसायनशास्त्र दिसके नोबेल पुरस्कार विजेताक घोषणा केलक अइछ।


एहि वर्ष नोबेल पुरस्कारक राशि १ करोड़ २० लाख स्विडिस क्रोनर छै । ई राशि एक गोटे, किछु विजेताक समूह वा कोनो संस्थाकेँ देल जाइ छै  ।


एहि वर्षक नोबेल पुरस्कारअन्तर्गत चिकित्साशास्त्र दिसक पुरस्कार सोमदिन तीन गोटे वैज्ञानिककेँ देल गेल छल । मस्तिष्क कोना काज करैत छै, तकर अध्ययनक लेल प्रकाशक प्रयोग केनिहार उपकरण विकासमे हुनक अनुसन्धान योगदान देने छल । मंगलदिन भौतिकशास्त्र दिसके पुरस्कार न्यूट्रिनोक दुर्लभ समूह नष्ट करबाक प्रयाससम्बन्धी अनुसन्धानक लेल देल गेल छल ।(रासस/एपी) 

–––