काठमाण्डू, २१ आसिनः नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा पार्टीभित्रक गुट तथा समूह समाप्त भेल बतौलैन अइछ।


नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशनअन्तर्गत बन्द सत्र समापन कार्यक्रममे सभापति थापा पार्टीभित्रके सब प्रकारक गुट समाप्त भेल बतौलैन । “आइसँ सब गुट समाप्त भेल, आब कोनो समूह नै छै”, ओ कहलैन ।


सभापति थापा महाधिवेशनक बाद कांग्रेसकेँ गुटगत आधारपर नै, बल्कि एकेटा पार्टीक रूपमे आगाँ बढ़ाएत से बतौलैन । पार्टीभित्र लम्बा समयसँ रहल समूह तथा विभाजनके बदला कांग्रेसकेँ एकताबद्ध क आगाँ बढ़ेबाक चाही से हुनक कहब अइछ ।


एहिसँ पहिने सेहो पार्टीक आन्तरिक व्यवस्थापनमे मात्र सीमित रहबाक बदला कांग्रेसकेँ समाज तथा जनताक बीचक बहसमे केन्द्रित कएने रही सभापति थापा बतौलैन । अपन समय हिस्सा पार्टीक बाहर कांग्रेसक नीति, विचार तथा देशक विषयमे बहस करए लगेबाक ओ बतौलैन । सभापति थापा महाधिवेशन समाप्त भेलाक तुरन्त बाद स्थानीय तहके निर्वाचनधैर दिन-राइत काज करबाक बतौलैन ।(रासस) 

–––