काठमाण्डू, २१ आसिान : सूचना तथा सञ्चारमन्त्री डा. विक्रम तिमिल्सिनासँ स्विट्जरल्यान्डके फेडेरल अफिस अफ कम्युनिकेसन्स (ओएफसीओएम) के वरिष्ठ नीति सल्लाहकार इसाबेल लोइस शिष्टाचार भेटवार्ता केलैन अइछ ।
भेटमे नेपाल आ स्विट्जरल्यान्ड बीच सूचना तथा सञ्चार प्रविधिके क्षेत्रमे सहकार्य आ सहयोग विस्तारक विषयमे परामर्श भेल छल । सञ्चारमन्त्री डा. तिमिल्सिना विभिन्न क्षेत्रमे स्विट्जरल्यान्ड सरकारसँ प्राप्त सहयोगप्रति धन्यवाद व्यक्त करैत आबैबला समयमे सहकार्य आ सहयोग थप विस्तार करबाक बतौलैन । नेपाल डिजिटल रूपान्तरणकेँ प्राथमिकतामे राइख काज क रहल उल्लेख करैत ओ अइ क्षेत्रमे लगानी आनबाक वातावरण सहज बनैत गेल बतौलैन ।
वरिष्ठ नीति सल्लाहकार लोइस सन् २०२७ जुन २१ आ २२ मे स्विट्जरल्यान्डके जेनेभामे आयोजन हुअबला ‘एआई ग्लोबल समिट २०२७’ मे नेपालक सहभागिताके लेल निमन्त्रण देलैन । सम्मेलनमे नेपालक तथा सम्बन्धित सरोकारवालाके प्राथमिकताबारे ओ जानकारी लेने छलैन ।
तहिना, हुनकासभ बीच ‘फ्रिडम अनलाइन कोलिसन’ मे नेपालक सम्भावित सहभागिता तथा पर्यवेक्षकके रूपमे नेपालक भूमिकाके विषयमे सेहो परामर्श भेल छल । हाल ४२ सदस्य राष्ट्र रहल उक्त गठबन्धन इन्टरनेट तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता, गोपनीयता आ अनलाइन अधिकार प्रवर्द्धनमे सहकार्य करैत आएल अइछ ।(रासस)
–––













