वीरगन्ज (पर्सा), २१ आसिन : जिला प्रहरी कार्यालय पर्सा पाबैन तिहार लक्षित विशेष सुरक्षा योजना आइसँ लागू केलक अइछ । 


आबैबला दशमी, दिपावली, नेपाल संवत तथा छैठकेँ शान्तिपूर्ण, सुरक्षित, मर्यादित एवं उल्लासमय बनेबाक लेल सुरक्षा योजना लागू कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी नायब उपरीक्षक चक्र बहादुर मल्ल जानकारी देलैन । 


पाबैन तिहारके अवसरमे शान्ति सुरक्षाकेँ बिगारैत हुअबला विभिन्न आपराधिक घटनाकेँ निस्तेज बनेबाक लेल प्रहरी उक्त सुरक्षा योजना शख्तीसँ लागू करबाक जनौलक अइछ ।


सवारी चालककेँ मादक पदार्थ सेवन क सवारी नै चलाबए, जुवातास नै खेलए तथा आतीसबाजी नै करबाक लेल सेहो समाजक सब तह आ तप्कासँ प्रहरी अपिल केलक अइछ । 


जिला प्रहरी कार्यालय सब नागरिककेँ सुरक्षित तरिकासँ पाबैन तिहार मनेबाक लेल तथा आपराधिक घटना आ गतिविधिमे संलग्नबारे समयमे खबर क सुरक्षित समाज निर्माण करबाक सझिया जिमेवारी आ दायित्व निर्वाह करबाक लेल अनुरोध केलक अइछ ।


प्रहरीके अनुरोधसम्बन्धी सूचनामे कहल गेल अइछ, “पाबैन तिहारमे हुअबला आवतजावत, बजार तथा व्यापारिकस्थलपर हुअबला भीड़, सार्वजनिक यातायातमे हुअबला भीड़, धार्मिक तथा सांस्कृतिक गतिविधिलगायतकेँ मध्यनजर करैत शान्ति, सुरक्षा व्यवस्थाकेँ थप सुदृढ़, प्रभावकारी एवं जनमैत्री विशेष निगरानी, गस्ती तथा चेकजाँचके व्यवस्था मिलाएल गेल छै ।”( रासस)