काठमाण्डू, २१ आसिन : नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशनअन्तर्गत आइ चारिम दिनके बन्दसत्र वर्षाके कारण प्रभावित भेल अइछ ।
आजुक बन्दसत्रमे विभिन्न चाइरटा प्रस्ताव तथा प्रतिवेदनपर परामर्शक बाद पारित करबाक कार्यक्रम छल । मुदा, अचानक आएल हावाबिहाइर आ वर्षाके कारण बन्दसत्र प्रभावित भेल कांग्रेस प्रवक्ता देवराज चालिसे बतौलैन ।
सभापति गगन कुमार थापा प्रस्तुत कएने ‘राष्ट्रिय पुनर्जागरण आ समुन्नति’सम्बन्धी राजनीतिक प्रस्ताव, उपसभापति विश्व प्रकाश शर्माके ‘राजनीतिक संस्कृतिके क्षय आ युगानुकूल रूपान्तरणके अभिभारा’सम्बन्धी समसामयिक प्रस्ताव, महामन्त्री गुरुराज घिमिरेके सङ्गठनसम्बन्धी प्रतिवेदन आ कोषाध्यक्ष उमेश श्रेष्ठके आर्थिक प्रतिवेदनपर परामर्शक बाद पारित करबाक कार्यसूची अइछ ।
कांग्रेसक १५म महाधिवेशनअन्तर्गत इएह आसिन १८ गते खुलामञ्चमे विशेष कार्यक्रमसहित उद्घाटन भ अखन ओएह स्थानपर बन्दसत्र भ रहल अइछ ।
आमसञ्चारकर्मीकेँ सेहो प्रवेश देबाक आजुक बन्दसत्रमे उल्लिखित चाइरटा प्रस्ताव तथा प्रतिवेदनपर परामर्श भ पारित करबाक तैयारी अइछ । खुलामञ्चमे प्रवेश प्राप्त सबकेँ बन्दसत्रमे प्रवेश खुला कएल गेल प्रवक्ता चालिसे बतौलैन । हुनक कहब अनुसार अइसँ पहिने सम्पन्न विशेष महाधिवेशनमे सेहो बन्दसत्र सबके लेल खुला कएल गेल छल ।
बन्द सत्रके ‘लाइभ’ कांग्रेसक फेसबुक पेजसँ सेहो प्रसारण करबाक प्रवक्ता चालिसे जानकारी देलैन । तहिना, अन्य मिडियासभ सेहो बन्दसत्रकेँ प्रत्यक्ष प्रसारण क सकत ।
बन्दसत्रके आजुक कार्यक्रमके बाद पार्टी सभापति गगन कुमार थापाके महाधिवेशन प्रतिनिधिसभकेँ सम्बोधन करबाक कार्यक्रम छैन । सभापतिके सम्बोधनसहित बन्दसत्रके परामर्श औपचारिक रूपमे सम्पन्न करबाक तैयारी कांग्रेसक अइछ ।
महाधिवेशनअन्तर्गतके विभिन्न सत्रमे पार्टीके आगामी कार्यदिशा आ सङ्गठनात्मक संरचनाके विषयमे परामर्श भ रहल अइछ । बन्दसत्रसँ राजनीतिक, सङ्गठनात्मक आ आर्थिक प्रतिवेदन पारित भेलाक बाद कांग्रेस महाधिवेशन नेतृत्व चयनके प्रक्रियादिस आगु बढ़बाक प्रवक्ता चालिसे जानकारी देलैन ।(रासस)
–––















