काठमाण्डू, २१ आसिन : नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशनमे पत्रकार पृष्ठभूमिके छ गोटे विभिन्न पदमे उम्मेदवारी देलैन अइछ ।


महाधिवेशन निर्वाचन समिति निर्धारण कएने तालिकाअनुसार मङ्गलदिन सम्पन्न उम्मेदवारी दर्ताके क्रममे ओसभ उम्मेदवारी देलैन अइछ । 


समिति अनुसार अइसँ पहिने कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य रहि चुकल पत्रकार अजय बाबु शिवाकोटी सहमहामन्त्री (खुला) पदमे उम्मेदवारी देलैन अइछ ।


तहिना, वरिष्ठ पत्रकार कविर राणा केन्द्रीय सदस्य (खुला), समिरजङ्ग शाह, शिव लम्साल आ बाला अधिकारी केन्द्रीय सदस्य (पेसागतदिस) आ कमला हमाल केन्द्रीय सदस्य (युवा, महिला ३५ वर्षमुनि)मे उम्मेदवारी देलैन ।


अधिकारी अइसँ पहिने कांग्रेसक विशेष महाधिवेशनसँ केन्द्रीय सदस्यमे निर्वाचित भेल छलैन । सब गोटे कांग्रेसक शुभेच्छुक संस्था नेपाल प्रेस युनियनसँ सेहो सम्बद्ध छैथ । राणा युनियनके केन्द्रीय सल्लाहकार छैथ, तँ शाह पूर्वअध्यक्ष, लम्साल वर्तमान अध्यक्ष, अधिकारी पूर्वअध्यक्ष आ हमाल वर्तमान केन्द्रीय सदस्य छैथ ।


कांग्रेसक १५म महाधिवेशनके उद्घाटन इएह आसिन १८ गते भेल छल, तँ नयाँ नेतृत्व चयनके लेल काइल भोर ७ः३० बजेसँ साँझ ५ः०० बजेधैर मतदानक लेल समय निर्धारण कएल गेल अइछ ।(रासस)