काठमाण्डू, २१ आसिन : देशक अधिकांश स्थानपर आइ दिनभैर वर्षा हएत आ ई क्रम शुक्रदिनधैर जारी रहत । शैनदिनसँ मौसममे क्रमशः सुधार होबाक मौसम विज्ञान विभाग बतौलक अइछ ।
मौसम विद रोजन लामिछाने कहलैन, “अधिकांश स्थानपर अखन मेघगर्जनसहित वर्षा भ रहल छै । आइ दिनभैर वर्षा हएत आ राइतसँ किछ सुधार हएत, तँ शुक्रदिन दुपहर फेरसँ वर्षा होबाक सम्भावना छै । शैनदिनसँ मौसममे सुधार हएत । हाल देशमे पश्चिमी न्यून चापीय प्रणालीसहित मनसुनी वायुके प्रभाव सेहो अइछ ।”
आइ पूर्वी क्षेत्रमे तुलनात्मक रूपमे कम वर्षा भेलाक बादो बागमती, गण्डकी, लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक एक–दू स्थानपर भारी वर्षाके सम्भावना अइछ । आइ सबसँ बेसी वर्षा अर्घाखाँचीके सिमलपानी केन्द्रमे ५८ दशमलव २ मिलिमिटर मापन कएल गेल अइछ ।
अखन काठमाण्डू उपत्यकासहित बागमती, लुम्बिनी, गण्डकी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक किछ स्थानपर मेघगर्जन/ठन्का, हावाबिहाइर आ पाथरसहित मध्यम वर्षा भ रहल विभाग जनौलक अइछ ।(रासस)
–––















