काठमाण्डू, २१ आसिन : नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशनमे पदाधिकारीलगायत विभिन्न पदमे उम्मेदवारी देने उम्मेदवारसभक प्रारम्भिक नामावली सार्वजनिक कएल गेल अइछ । कांग्रेस केन्द्रीय निर्वाचन समिति उम्मेदवारके प्रथम नामावली सार्वजनिक केलक अइछ । सभापति एक, वरिष्ठ उपसभापति एकसहित चाइर उपसभापति, महामन्त्री तीन, सहमहामन्त्री १५, कोषाध्यक्ष एकसहित २४ गोटे पदाधिकारी होबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।
सहमहामन्त्रीमे चाइर गोटे आ कोषाध्यक्ष एक गोटे सभापतिद्वारा मनोनित करबाक व्यवस्था अइछ । ओएह अनुसार निर्वाचित हुअबला पदाधिकारी सङ्ख्या १९ गोटे रहत । निर्वाचन समिति सार्वजनिक कएने सूचीअनुसार १९ गोटे पदाधिकारीके लेल ७९ गोटेके उम्मेदवारी पड़ल अइछ ।
पार्टी सभापतिके लेल तीन गोटेके उम्मेदवारी पड़ल अइछ । सभापति पदमे वर्तमान सभापति गगन थापा, पूर्वसहमहामन्त्री किशोरसिंह राठोर आ पूर्वक्षेत्रीय सभापति श्याम कृष्ण खड्गीके उम्मेदवारी पड़ल अइछ ।
तहिना, वरिष्ठ उपसभापतिमे विश्व प्रकाश शर्मा, खुला उपसभापति (दू पदक लेल) गोविन्द भट्टराई, डा. चन्द्रकान्त भण्डारी, प्रा डा चन्द्रमोहन यादव, दीपक गिरी, देवराज चालिसे, धनराज गुरुङ, मधु आचार्य, डा. मिनेन्द्र प्रसाद रिजाल आ सुरेन्द्रराज पाण्डेके उम्मेदवारी पड़ल अइछ । महिला उपसभापति (एक पदक लेल) पुष्पा भुसाल, समावेशी उपाध्यक्ष (एक पदक लेल) जीवन परियार, फरमुल्लाह मन्सुर, विनोद कुमार चौधरी, रञ्जित कर्ण आ सीता गुरुङके उम्मेदवारी पड़ल निर्वाचन समिति जनौलक अइछ ।
तहिना, खुला महामन्त्री (दू पदक लेल) अमरसिंह पुन, उदयशम्शेर राणा, गुरुराज घिमिरे, नैनसिंह महर, प्रदीप पौडेल, डा सुनिल शर्मा आ डा. सन्तोष उपाध्यायके उम्मेदवारी पड़ल अइछ, तँ महिला महामन्त्रीमे डा डिला सङ्ग्रौला पन्त, महालक्ष्मी उपाध्याय (डिना) आ रीता खनालके उम्मेदवारी पड़ल अइछ ।
तहिना, १४ सहमहामन्त्री पदमे सहमहामन्त्री महिलादिस (एक पदक लेल) नानु बाँस्तोला आ प्रतिमा गौतम, सहमहामन्त्री खुला (दू पदक लेल) अजयबाबु शिवाकोटी, अमृत कुमार अर्याल, देवेन्द्र कँडेल, दिनेश कोइराला, डिल्लीराम सुवेदी, विकास कोइराला, विमलराज क्षेत्री, रमेश प्रसाद धमला, रामहरि खतिवडा आ राजीव ढुङ्गाना उम्मेवारी देलैन अइछ ।
तहिना, सहमहामन्त्री आदिवासी जनजाति (एक पदक लेल) ओम बहादुर घर्तीमगर, तारामान गुरुङ, दिलमान पाख्रिन, प्रशान्तमान सिंह मास्के आ बहादुरसिंह लामाके उम्मेवारी पड़ल अइछ, तँ सहमहामन्त्री दलितदिस (एक पदक लेल) नरेन्द्र पासवान, प्रकाश रसाइली स्नेही, मान बहादुर नेपाली आ लक्ष्मी परियारके उम्मेवारी पड़ल अइछ ।
तहिना, मधेशी सहमहामन्त्री (एक पदक लेल) अजय कुमार चौरासिया, अभिषेक प्रताप शाह, किरण यादव, नागिना यादव, मनिष कुमार मिश्र, महेन्द्र यादव, मुक्ता कुमारी यादव आ रामपल्टन शाहके उम्मेवारी पड़ल अइछ, तँ खस आर्यदिस सहमहामन्त्री (एक पदक लेल) जगदीश्वरनरसिंह केसी, मनोजमणि आचार्य आ शुभराम बस्नेतके उम्मेवारी पड़ल निर्वाचन समिति जनौलक अइछ ।
सहमहामन्त्री थारूदिस (एक पदक लेल) तेजुलाल चौधरी, योगेन्द्र चौधरी आ सुरेन्द्र प्रसाद चौधरीके उम्मेवारी पड़ल अइछ, तँ सहमहामन्त्री मुस्लिमदिस (एक पदक लेल) अतहर कमाल मुसलमान, अब्दुल सत्तार आ डा. फिरदोस आलमके उम्मेवारी पड़ल अइछ । तहिना, सहमहामन्त्री पिछड़ल क्षेत्र (एक पदक लेल) जीवन बहादुर शाही, कर्ण बहादुर बुढा, जनकराज गिरी, राम बहादुर विष्ट, नारायण प्रसाद भट्टराई, मीन बहादुर भाम आ राजन कुँवरके उम्मेवारी पड़ल अइछ ।
तहिना, सहमहामन्त्री अल्पसङ्ख्यक वा अपाङ्गतादिस (एक पदक लेल) आङगेलु शेर्पा, नगेन्द्र कुमार कुमाल, बाबु कृष्ण सापकोटा आ योगेश गौचन थकालीके उम्मेवारी पड़ल निर्वाचन समिति जनौलक अइछ ।
तहिना, केन्द्रीय सदस्यमे सेहो उल्लेख्य मात्रामे उम्मेदवारी पड़ल निर्वाचन समिति जनौलक अइछ । प्रथम नामावलीमे कोनो प्रकारक दाबीविरोध भेलापर प्रक्रियासम्मत दाबी विरोधक लेल आइ भोर १०ः०० बजेसँ १२ः०० बजेधैरके समय निर्धारण कएल गेल निर्वाचन समितिके सदस्य सचिव राजु कटुवाल जानकारी देलैन । रासस













