काठमाण्डू, २० आसिन: जिला अदालत काठमाण्डू मेडिकल व्यवसायी दुर्गा प्रसाईंकेँ दू लाख टका धरौटीमे रिहा करबाक आदेश देल गेल अइछ ।


जिला न्यायाधीश उमेश प्रसाद लुइँटेलके इजलासद्वारा प्रसाईंकेँ दू लाख टका धरौटी ल क छोड़बाक आदेश देल गेल अयछ। अदालतके सूचना अधिकारी शिव खतिवटा प्रसाईंकेँ धरौटीमे रिहा करबाक आदेश भेल राससकेँ जानकारी देलैन अइछ ।

विद्युतीय (इलेक्ट्रोनिक) कारोबारसम्बन्धी कसुरमे नेपाल प्रहरीक साइबर ब्युरो प्रसाईंकेँ आसिन १२ गते गिरफ्तार कएने छल । प्रहरी विद्युतीय कारोबारसम्बन्धी कसुरमे अनुसन्धान आगू बढ़ाबैत प्रसाईं विरुद्ध मुद्दा दर्ता कएने छल । सएह मुद्दामे जिला अदालत काठमाण्डूले आइ धरौटीमे रिहा करबाक देने आदेश अइछ ।(रासस)