काठमाण्डू, २० आसिन : जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डूद्वारा सञ्चालित ‘विशेष स्वीप अपरेसन’क क्रममे पछिला २४ घण्टामे विभिन्न मुद्दामे संलग्न १०१ गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।


प्रहरीक कहब अनुसार बितल २४ घण्टामे अदालतसँ दण्ड तथा सजाय तोकल गेल कसुरदार तथा चालू मुद्दामे भागल प्रतिवादीसभकेँ गिरफ्तार कएल गेल जिला प्रहरी परिसर काठमाण्डूक प्रवक्ता तथा प्रहरी उपरीक्षक दानबहादुर थापा जानकारी देलैन ।


अपराध रोकथाम तथा नियन्त्रण करैत काठमाण्डू उपत्यकामे शान्ति, सुरक्षा तथा सुव्यवस्था कायम करबाक उद्देश्यसँ परिसर राजधानीक विभिन्न क्षेत्रमे उक्त अभियान सञ्चालन कएने जनौलक अइछ । अभियानक क्रममे सार्वजनिक सेवा देनिहार कार्यालय, सार्वजनिक स्थल तथा यातायातक साधनमे सेवाग्राही एवम् आम नागरिकपर माइरपिट, हुड़दङ्गा तथा दुर्व्यवहार केनिहार, चोरी तथा लुटपाटमे संलग्न, बिचौलियाक रूपमे काज केनिहार तथा गुण्डागर्दी लगायत आपराधिक गतिविधिमे संलग्न व्यक्तिसभकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल जानकारी देलैन ।


अपराधिक गतिविधि नियन्त्रण तथा न्यूनीकरणक लेल समय-समयपर एहन अभियान सञ्चालन करैत आएल प्रहरी जनौने अइछ ।रासस

---