काठमाण्डू, २० आसिन : अइ सालके दशमीमे घर जाएबला यात्रीके लेल इएह आसिन २३ गतेसँ टिकट बुकिङ खुला कएल जाएत ।
यातायात व्यवस्था विभागमे आइ नेपाल यातायात व्यवसायी राष्ट्रिय महासंघक अध्यक्ष पुण्य प्रसाद सिटौला, विभागक महानिर्देशक राजीव पोखरेल सहितक पदाधिकारीके भेल बैसारसँ उक्त निर्णय कएल गेल अइछ ।
बैसारक बाद महानिर्देशक पोखरेल दशमीमे यात्रीके सहज, सुरक्षित आ व्यवस्थित आवागमन सुनिश्चित करबाक लेल आसिन २३ गतेसँ अग्रिम टिकट बुकिङ खुला करबाक जानकारी देलैन ।
आइ सञ्चारकर्मीसँ बातचित करैत ओ दशमीके लेल यातायात व्यवस्थापनके आवश्यक तैयारी भ रहल पोखरेल जानकारी करौलैन ।
दशमीके समयमे राजधानीसँ विभिन्न जिलादिस जाएबला यात्रीके भीड़ बढ़बाक कारण अग्रिम टिकट बुकिङ, सवारीसाधनके व्यवस्थापन तथा यात्री सेवासम्बन्धी तैयारीकेँ प्राथमिकता देल गेल विभाग जनौलक अइछ ।
महानिर्देशक पोखरेलके कहब अनुसार यात्रीकेँ सहज रूपमे गन्तव्यधैर पहुँचबाक वातावरण बनेबाक लेल सम्बन्धित निकाय, यातायात व्यवसायी तथा सुरक्षा निकायसँ आवश्यक समवंय भ रहल अइछ ।
यात्रीके भीड़केँ मध्यनजर करैत यातायात सेवा व्यवस्थित आ सुरक्षित बनेबाक लेल आवश्यक व्यवस्था मिलेबाक ओ बतौलैन ।
दशमीमे यात्रीकेँ अनावश्यक दुःख नै होए, टिकट लेबाक लेल समस्या नै होए आ सुरक्षित रूपमे यात्रा करबाक उद्देश्यसँ अग्रिम टिकट बुकिङ तथा यातायात व्यवस्थापनके तैयारी आगु बढ़ाएल गेल विभाग जनौलक अइछ ।रासस















