काठमाण्डू, २० आसिन : अर्थमन्त्री डा. स्वर्णिम वाग्ले आ विश्व बैंक समूहक अध्यक्ष अजय बाङ्गा बीच उच्चस्तरीय दू पक्षीय भेटवार्ता भेल अइछ । विश्व बैंकके अध्यक्षके निमन्त्रणमे प्रतिनिधिमण्डलके नेतृत्व करैत अमेरिका पहुँचल अर्थमन्त्री डा. वाग्ले आ अध्यक्ष बाङ्गा बीच अमेरिकाके वासिङ्टनडिसीमे भेटवार्ता भेल अइछ । 


भेटघाटक क्रममे अर्थमन्त्री वाग्ले रसुवाके भोटेकोशी नदीमे आएल बाइढ़सँ क्षतिग्रस्त बनल भौतिक तथा आर्थिक पूर्वाधारके पुनर्निर्माण, बृहत आर्थिक सुधार आ बीमा एवं सामाजिक संरक्षणक लेल करिब एक अरब अमेरिकी डलर बराबरके स्रोत परिचालनबारे परामर्श कएने अर्थमन्त्री वाग्लेके निजी सचिवालय जनौलक अइछ ।


विश्व बैंकके अध्यक्ष बाङ्गा नेपालमे बाइढ़ विपदसँ भेल क्षतिप्रति दुःख व्यक्त करैत पुनर्निर्माणके क्षेत्रमे विश्व बैंक उल्लेख्य सहयोग करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन ।


तहिना, नयाँ सरकार नीतिगत तथा संस्थागत सुधारक लेल कएल गेल निर्णयसभक प्रशंसा करैत ओ पूर्वाधारमे लगानी विस्तार आ स्वदेशमे रोजगारी सिर्जना करबाक आवश्यकतामे जोड़ देलैन ।


अध्यक्ष बाङ्गा एसियाली विकास बैंक आ अन्तर्राष्ट्रिय वित्त निगमलगायतक विकास साझेदारसभसँ समवंय क नेपालक प्राथमिकताके क्षेत्रमे संयुक्त लगानी विस्तार करबाक लेल विश्व बैंक नयाँ पहल करबाक जानकारी देलैन । 


नेपालक लेल विश्व बैंकके राष्ट्रिय निर्देशक डेभिड सिस्लेनके कहब अनुसार विगत तीन दशकके अवधिमे विश्व बैंकके अध्यक्ष आ नेपालक अर्थमन्त्री बीच भेल ई पहिल प्रत्यक्ष दू पक्षीय भेटवार्ता अइछ । 


उक्त भेटघाट कार्यक्रममे विश्व बैंकके उपाध्यक्षद्वय जहानस जट आ जुनेद अहमदलगायतक उच्च पदस्थ अधिकारीसभक सहभागिता छलैन ।( रासस) 

–––