बारा, १८ आसिन : बाराके देवताल गाउँपालिका–६ जबकास्थित माछ पोखैरमे डुइब दू गोटे किशोरीके मृत्यु भेल अइछ ।
देवताल गाउँपालिका–६ रौवाहीके १४ वर्षिया निशा पटेल आ ओएह ठामक १४ वर्षिया चाँदनी पटेलके पोखैरमे डुइब क मृत्यु भेल अइछ । जितिया पाबैन मनेबाक क्रममे अपन अभिभावक सङे पोखैरमे नहेबाक लेल गेल दूनु गोटे किशोरी शैनदिन साँझ डुइब क बेपत्ता भेल छलैन । घटनाबारे जानकारी प्राप्त भेलाक लगले अस्थायी प्रहरी पोष्ट बेनौलीसँ खटल प्रहरी टोली, स्थानीय बासिन्दाके सहयोगमे पोखैरमे बेपत्ता भेल दूनु किशोरीकेँ खोजतलास सुरु कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालय बाराके निमित्त सुचना अधिकारी एवं प्रहरी निरिक्षक राजा बाबु ठाकुर जानकारी देलैन ।
खोजीके क्रममे पोखैरके दक्षिणदिस पाइनमे दूनु किशोरी मृत अवस्थामे भेटल प्रहरी निरिक्षक ठाकुर जानकारी देलैन । मृतक दूनु किशोरीके शव परीक्षणके लेल प्रादेशिक अस्पताल कलैयामे राखल गेल अइछ, तँ घटनाबारे थप अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ । (रासस)
–––














