सर्लाही, १८ आसिन : सर्लाहीके बागमतीस्थित बरम बाबा सामुदायिक वन क्षेत्रमे जंगली हात्ती मृत भेटल अइछ ।  बागमती नगरपालिका–४ बरम बाबा सामुदायिक वन लग आइ परबल खेतमे जंगली हात्ती मृत भेटल अइछ । भोरक समय खेतमे परबल तोड़बाक लेल गेल खेतक मालिक हात्ती मरल देखलाक बाद प्रहरीकेँ खबर कएने छलैन । 


अइ क्षेत्रमे मध्यराइत हात्तीके आवाज सुनल गेल ओएह ठामक कृष्ण लामा जानकारी देलैन ।  


अन्दाजी ३० सँ ३५ वर्षक वयस्क मादा हात्ती मरल सवडिभिजन वन कार्यालय मुर्तियाके प्रमुख सुवास योगी बतौलैन । हात्ती मरबाक कारण नै खुलल ओ बतौलैन । घटनाके मुचुल्का तैयारी क हात्तीके सद्गत करबाक सवडिभिजन मुर्तियाके प्रमुख योगीके कहब छैन । उक्त वाडक कार्यवाहक वाड अध्यक्ष अर्थमान सिङ्ताके कहब अनुसार उक्त क्षेत्रमे बेर–बेर चितवन राष्ट्रिय निकुञ्ज आ पर्सा वन्यजन्तु आरक्षणसँ पैघ सङ्ख्यामे हात्तीके हुल आबैत अइछ । (रासस)