काठमाण्डू, १६ आसिनः प्रतिनिधि सभाक दोसर अधिवेशनमे ६२ दिनमे ६८ टा बैसारमे २७७ घण्टा ३० मिनेट संसदीय काम-कारबाहीमे समय व्यतीत भेल अइछ । अधिवेशन अध्यादेशकेँ विस्थापित करैबला विधेयक सहित १२टा विधेयक पारित कएने अइछ ।


वैशाख २८ गतेसँ आइधैर कुल १४५ दिन भेल, मुदा संसदीय कार्य-दिन ६२ दिन कायम रहल अइछ । सभामुख डोलप्रसाद अर्याल दोसर अधिवेशनक अन्त घोषणा करएसँ पहिने अधिवेशन कि कि काम-कारबाही भेल से विषयमे आइ जानकारी देलैन ।


एहि बीच वैशाख २८ तथा जेठ १५ गते संघीय संसदक दुनू सदनक संयुक्त बैसार भेल छल, जाहिमे दू घण्टा ५५ मिनेट समय बितल । अधिवेशनके पहिल बैसारमे सार्वजनिक खरीद, सार्वजनिक पदाधिकारीके पदमुक्तिसम्बन्धी विशेष व्यवस्था, संवैधानिक परिषद, सम्पत्ति शुद्धीकरण निवारण, केही नेपाल ऐन संशोधन, सहकारी, स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान तथा विश्वविद्यालयसम्बन्धी अध्यादेश पेश कएल गेल छल ।  


राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलद्वारा आर्थिक वर्ष २०८३/८४ के नीति तथा कार्यक्रमपर प्रतिनिधि सभा वैशाख २८ गते धन्यवाद प्रस्ताव पारित कएने छल । 


प्रतिनिधि सभा नियमावली मस्यौदा समितिक प्रतिवेदनपर बातचित भ क जेठ १७ गते संशोधनसहित बहुमतसँ पारित भेल छल । आर्थिक वर्ष २०८३/८४ लेल विनियोजन विधेयकके सिद्धान्त तथा प्राथमिकतापर जेठ ४ तथा ५ गते बातचित भेल छल आ अर्थमन्त्री डा. स्वर्णिम वाग्ले उत्तर देने छल । आर्थिक सर्वेक्षण तथा सार्वजनिक संस्थानक वार्षिक स्थितिक समीक्षा सेहो सदनमे पेश कएल गेल छल ।


राजस्व तथा व्ययके वार्षिक अनुमानपर जेठ २७ तथा २८ गते बातचित पूरा भेल छल । तकर बाद विनियोजन विधेयक, २०८३पर अखार १ तथा २ गते दफावार बातचित भेल आ सम्बन्धित मन्त्रीसभ बितल अखार ३ तथा ४ गते उत्तर देने छल । सएह दिन बहुमतसँ विधेयक पारित भेल छल ।रासस