काठमाण्डू, १५ आसिन : नेपाली कांग्रेसक पूर्वसभापति शेर बहादुर देउवा पक्षीय कांग्रेसक १५म महाधिवेशनअन्तर्गतके वाड अधिवेशन आइ हएत ।


नेपाली कांग्रेसक संस्थापन पक्ष इएह आसिन १८ गतेसँ हुअबला १५म महाधिवेशनके तैयारी क रहल समय पार्टीके इतर समूह देउवा पक्ष सेहो समानान्तर अधिवेशन सुरु कएने आ ओइ लेल आइ वाड अधिवेशन करए लागल अइछ ।


देउवा समूह सेहो १५म महाधिवेशन आगामी अगहन २१ गतेसँ २३ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल अइछ । ओएह अनुसार देउवा पक्ष इएह आसिन २० गते पालिका, आसिन २३ गते प्रदेश सभा निर्वाचन क्षेत्रीय आ अगहन ४ गते प्रदेश अधिवेशन सम्पन्न करबाक कार्यतालिका निर्धारण क निर्वाचन आयोगकेँ जानकारी करा चुकल अइछ ।


उक्त समूहद्वारा ७७ जिलामे केन्द्रीय निर्वाचन समितिके दिससँ निर्वाचन अधिकृत पठाएल गेल पार्टीके नेता किरणराज पौडेल जानकारी देलैन ।


कांग्रेसक आधिकारिकतासम्बन्धी विवाद सर्वोच्च अदालतमे विचाराधीन रहल तर्क करैत अखन महाधिवेशन नै करबाक चाही से माँग देउवा पक्षके छल । मुदा, संस्थापन पक्ष इएह आसिन ३ गतेसँ महाधिवेशनमे जुटलासँ इतर पक्ष सेहो महाधिवेशनके कार्यतालिका निर्धारण क तैयारी सुरु कएने अइछ । देउवा पक्ष आइसँ सुरु करए लागल वाड अधिवेशनके लेल ५६ जिलामे निर्वाचन संयोजक सेहो खटाएल गेल जनौलक अइछ ।


ओइ समूहके महाधिवेशन आयोजक समितिके संयोजक डा. शशाङ्क कोइराला वाड तहसँ सङ्गठनकेँ बलगर, अनुशासित आ जनमुखी बनोनाइ आवश्यक रहल कहैत नेपाली कांग्रेसक सम्पूर्ण नेता, कार्यकर्ता आ क्रियाशील सदस्यसभकेँ उच्च मनोबल, उत्साह आ सक्रियतासहित वाड अधिवेशनमे सहभागी होबाक लेल अपिल केलैन ।


देउवा पक्षीय समूह १४म महाधिवेशनसँ निर्वाचित भेल कार्यसमिति आधिकारिक भेल दाबी करैत संस्थापन पक्ष आह्वान कएने महाधिवेशन प्रक्रियामे सहभागी नै भेल अइछ ।  (रासस)