काठमाण्डू, १४ आसिन : जापानक दूटा अलग सहरमे भेल अन्तर्राष्ट्रिय कराते प्रतियोगितामे पदक हासिल करैबला खेलाड़ीसहितक नेपाली टोली स्वदेश घुरल अइछ । जापानक नागोयामे सेप्टेम्बर २० सँ २३ तारिखधैर भेल २०म एसियाली खेलकुद तथा योकोहामामे सेप्टेम्बर २५ सँ २७ तारिखधैर भेल ११म सितोरियो कराते डो अन्तर्राष्ट्रिय च्याम्पियनसिपके पदक विजेतासहितक टोली स्वदेश घुरल अइछ । दूनु प्रतियोगितामे नेपालसँ तीन पुरुष आ पाँच महिलासहित आठ खेलाड़ी प्रतिस्पर्धा कएने छल । एसियाडमे सहभागी भेल खेलाड़ी योकोहामामे भेल प्रतियोगितामे सहभागी भेल छल । एसियाली खेलकुदके करातेमे नेपालक शेर्पा मात्रे पदक हासिल केलैन । पुरुष ८४ किलोसँ बेसीके समूहमे तेन्जिङ कास्य पदक हासिल केलैन । तेन्जिङके पदक २०म एसियाडमे नेपाल हासिल कएने पहिल पदक अइछ । तेसर स्थानके लेल भेल प्रतिस्पर्धामे तेन्जिङ लाओसके खेलाड़ीकेँ ९–१ सँ पराजित करैत कास्य पदक हासिल केलैन । समग्र एसियाडके करातेमे तेन्जिङ पदक हासिल करैबला पाँचम खेलाड़ी छैथ । अइसँ पहिने एसियाडमे कराते एकटा रजत आ तीनटा कास्य हासिल कएने छल । १९९४ के हिरोसिमा एसियाडमे सीता राई, १९९८ के बैंकक एसियाडमे समर बहादुर गोले आ सन् २०१४ के इन्चोन एसियाडमे विमला तामाङ कास्य तथा सन् २०२२ के हाङझाव एसियाडमे एरिका गुरुङ रजत हासिल कएने छलैन ।

      आठू गोटे खेलाड़ी प्रतिस्पर्धा कएने योकोहामाके प्रतियोगितामे नेपाल दू स्वर्ण, एक रजत आ तीन कास्यसहित छटा पदक हासिल कएने अइछ । नेपाल व्यक्तिगत स्पर्धामे चाइर आ टिम स्पर्धामे दूसहित छ पदक हासिल कएने अइछ । महिला ६८ किलोसँ बेसीके समूहमे एरिका गुरुङ आ पुरुष ६० किलोसँ कम समूहमे राकेश मानन्धर नेपालक लेल स्वर्ण पदक हासिल केलैन । महिला ६८ किलोसँ कम समूहमे निरूपा दोङ तामाङ रजत तथा पुरुष ६७ किलोसँ कम समूहमे मिन बहादुर तामाङ कास्य प्राप्त केलैन । दूटा पदक जीतने एरिका आ निरूपा महिला टिम कुमुतेमे सेहो कांस्य हासिल केलैन । अइ स्पर्धामे दूनु गोटेसहित मेघा लिम्बू, एलिसा रास्कोटी मगर आ सानुमाया थिङ प्रतिस्पर्धा कएने छलैन । मेघा, एलिसा आ सानुमाया महिला टिम कातामे कास्य प्राप्त केलैन । एसियाली खेलकुदमे भाग लेलाक बाद नेपाली टोली जापानके नागोयासँ योकोहामे भेले प्रतियोगितामे सहभागी भेल छल । टोलीकेँ राष्ट्रिय खेलकुद परिषद् (राखेप) के सदस्य–सचिव रामचरित्र मेहता, युवा तथा खेलकुद मन्त्रालयके प्रमुख सल्लाहकार सिद्धी व्यञ्जनकार आ सल्लाहकार राजु सिंह, राखेप कार्यकारी समितिके सदस्य सिक्का सुवाल श्रेष्ठ, राखेपके सदस्य मोनालिशा खम्बु आ ललिता नाथ, नेपाल कराते महासङ्घक पदाधिकारी, खेलाड़ी, प्रशिक्षक, परिवारजनलगायत स्वागत केलैन । खेलाड़ी सङे टोलीके व्यवस्थापक कराते महासङ्घके अध्यक्ष युवराज लामा, कराते महासङ्घके महासचिव दावा गुरुङ तथा प्रशिक्षकद्वय कुशल श्रेष्ठ आ मन्डेकाजी श्रेष्ठ सेहो स्वदेश घुरल छैथ ।