काठमाण्डू, ९ आसिन : नेपाल आ नामिबिया बीच कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापना भेल अइछ। अइ सङे नेपालके कूटनीतिक सम्बन्ध १८७ देशमे विस्तार भेल अइछ ।
संयुक्त राष्ट्रसंघके ८१म महासभामे सहभागी होबाक क्रममे न्युयोर्कमे परराष्ट्रमन्त्री शिशिर खनाल आ नामिबियाक अन्तर्राष्ट्रीय सम्बन्ध तथा व्यापारमन्त्री सेल्मे असिपाला मुसाभी कूटनीतिक सम्बन्ध स्थापनाक लेल संयुक्त विज्ञप्तिमे अन्तर्राष्ट्रीय हस्ताक्षर केलैन अइछ।
हस्ताक्षरसँ पहिने दुनु देशक परराष्ट्रमन्त्रीबीच पारस्परिक हितके विविध विषयमे विचारविमर्श भेल परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अइछ। उक्त अवसरमे नेपालमे हाले आएल विनाशकारी जलवायुजन्य विपदमे भेल मानवीय तथा भौतिक क्षतिक विषयमे सेहो बातचित भेल छल। दुनु मन्त्री नेपाल आ नामिबिया बीच द्विपक्षीय सहयोग विस्तारक नयाँ सम्भावना खोजैत दू देश तथा जनताके साझा हित आ समृद्धिक लेल सहकार्य करबापर जोड़ देने छलैथ। (रासस)















