काठमाण्डू, ८ आसिन : कानुन, न्याय तथा संसदीय मामिला मन्त्री सोविता गौतम प्रतिनिधि सभाके आजुक बैसारमे निःशुल्क कानुनी सहायता सम्बन्धी विधेयक, २०८३ प्रस्तुत केलैन अइछ । ओइ अवसरमे मन्त्री गौतम संविधानके धारा २० के न्यायसम्बन्धी हककेँ कार्यावंयन करबाक लेल ई विधेयक आनल गेल जानकारी देलैन । फौजदारी मुद्दामे गिरफ्तार भ अपने कानुन व्यवसायी नै राइख सकैबला व्यक्तिकेँ सुरुसँ कानुनी सहायता प्रदान करबाक व्यवस्था विधेयकमे मिलाएल गेल मन्त्री गौतम बतौलैन । विधेयकमे निःशुल्क कानुनी सहायताके गुणस्तर सुधार करबाक व्यवस्था सेहो कएल गेल हुनक कहब छलैन ।